Saturday, November 22, 2014

जा धरि मिथिला राज नहि बनत, आंदोलन चलैत रहत : बैजू

दरभंगा : अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समितिक अध्यक्ष बैद्यनाथ चौधरी बैजू बीतल शुक्र कें कहलनि जे प्राकृतिक आपदा सं त्रस्त, उद्योगक कमी आओर बेरोजगारीक कारण मिथिलाक अर्थव्यवस्थाक हालत ख़राब अछि।
 एहि सभ समस्याक निदान पृथक मिथिला राजक गठन टा अछि। डॉ.बैजू कहलनि जे इ दुखक गप्प अछि जे संविधानक अष्टम अनुसूचीमे शामिल हेबाक दस बरख बीत गेल मुदा मैथिली कें उचित स्थान नहि भेटल। मिथिला-मैथिलीक विकास लेल 11 सूत्री मांग क ल 24 नवंबर कें संसदक सोंझा प्रदर्शन कयल जाएत। डॉ.बैजू मिथिला राजक गठन, सरकारी कार्यालयम मैथिली अनुवादकक बहाली, प्राथमिक शिक्षा मैथिलीमे देबाक अनिवार्यता, दरभंगा मे उच्च न्यायालयक बेंचक स्थापना, बाढ़ि आओर दाही सं स्थायी निदान, बंद मिल कें चालू करेबाक लगाइत 11 सूत्री मांग पूर होयबा धरि आंदोलन चलैत रहत, कहलनि। डॉ बैजू एहि गप्प पर चिंता व्यक्त केलनि जे एक दिस मिथिलाक आर्थिक उपेक्षा भए रहल अछि त दोसर दिस एकर साहित्यिक आओर सांस्कृतिक धरोहरक रक्षा नहि भए रहल  अछि। मौका पर संस्थाक कार्यकारी अध्यक्ष डॉ.बुचरू पासवान, चंद्रशेखर झा लगाइत बहुतो लोक उपस्थित छलथि।

0 comments:

Post a Comment