कोलकाता : मिथिला विकास परिषदक तत्वाधान मे तारासुंदरी पार्क, कोलकाता मे मिथिला महोत्सव 7 दिसंबर सं शुरू होएत जे 20 दिसंबर धरि चलत।
एहि महामहोत्सवक उद्घाटन राज्यपाल केसरी नाथ त्रिपाठी करता। एहि दू साप्ताहिक कार्यक्रम मे मिथिला-मैथिलीक मुद्दा पर चर्चा-परिचर्चा चलत संगे गीत-नाद, पोथी-प्रकाश, मिथिलाक लोकगीत पर नृत्यक आयोजन होएत। मिथिला विकास परिषदक अध्यक्ष अशोक झा बतौलनि जे एहि कार्यक्रम मे फिल्म निर्देशक प्रकाश झा सेहो एता।

0 comments:
Post a Comment