नई दिल्ली : केंद्र सरकार अखन केंद्रीय विद्यालयमे जर्मन आ संस्कृत भाषाक पढाई ल त्रिभाषा फार्मूला पर सोइच रहल अछि। इ फार्मूला कहैत अछि जे हिंदी प्रदेशक छात्र कें तीन गोट भाषाक शिक्षा देबाक छल जाहिमे हिंदी, अंग्रेजी आ एकटा आधुनिक भाषा। आधुनिक भारतीय भाषा मे बांगला, तमिल, तेलुगू, कन्नड़, असमिय़ा, मराठी, पंजाबी आदि आ गैर हिन्दीभाषी प्रदेश मे हिंदी आ अंग्रेजीक संग ओतुक्का मातृभाषाक शिक्षा देबाक छल।
चूँकि केंद्र सरकार बिहार के हिन्दीभाषी प्रदेश मानैत अछि, तखन तेसर भाषाक रुपे आधुनिक भारतीय भाषा मे बांगला, तमिल, तेलुगू, कन्नड़, असमिय़ा, मराठी, पंजाबी के त जगह भेटि गेलै मुदा मैथिली कतय हेरा गेलै ? आ जौं केंद्र सरकार बिहार कें गैर हिन्दीभाषी राज्य मानैत अछि तखन एतुक्का छात्र कें अप्पन मातृभाषा मैथिली मे शिक्षा किएक नहि भेटलै आ भेटि रहल छै ?

0 comments:
Post a Comment