Thursday, December 11, 2014

बज्जिका क विकास लेल खुजत अंतरराष्ट्रीय विवि

वैशाली : बज्जिका क विकास लिए वैशाली मे अंतरराष्ट्रीय विवि खुजत। इ घोषणा इंदिरा गांधी यूनिवर्सिटी ऑफ टेक्नोलॉजिकल एंड मेडिकल साइंसेज, अरुणाचल प्रदेशक कुलाधिपति डॉ प्रियरंजन त्रिवेदी केलन्हि। ओ कहलनि जे वैशाली मे जमीन भेटि गेल अछि। 500 करोड़ रुपयाक लागत सं एकर स्थापना होएत। ओ एहि विवि क लेल राज्य सरकार सं अपील केलनि जे सरकार कें निजी विश्वविद्यालयक लेल बनाओल गेल नियम सं ऊपर उठि मदद करबाक चाही। शिक्षा मंत्री वृशिण पटेल डॉ त्रिवेदी कें सहयोगक आश्वासन देलनि।

0 comments:

Post a Comment