Saturday, December 20, 2014

आशा मिश्रा क 'उचाट' कें भेटल साहित्य अकादमी पुरस्कार

नई दिल्ली/दरभंगा : साहित्य अकादमी बीतल काल्हि साहित्य अकादमी पुरस्कार 2014क घोषणा क देलक। साहित्य अकादमीक मैथिलीक पुरस्कार 2014 आशा मिश्रा कें उपन्यास 'उचाट' लेल भेटल जेकर जूरी छलथि डॉ शेफालिका वर्मा, डॉ सुरेश्वर झा आ डॉ देवकांत झा। दरभंगा क रहनिहाइर 64 बरखक आशा मिश्रा पुरस्कार पाबि गदगद छथि। आशा कहैत छथि जे हम गृहणी छी, आ दिन भरी व्यस्त रहबाक कारणे हम राइते मे साहित्य सृजन करैत छी।

साहित्य अकादमीक पुरस्कारक रुपे आशा मिश्रा कें एक लाख रूपया, शॉल, आ ताम्रपत्र देल जाएत. इ पुरस्कार 9 मार्च कें नई दिल्ली में आयोजित सम्मान समारोह मे देल जाएत।

एहि उपन्यासक बारे मे बताबी त ' इ खिस्सा एकटा एहेन बच्चा क अछि जिनक मां नहि छथिन, बच्चाक लालन-पालन मौसी लग होइत अछि मुदा बचा ओतहियो नहि टिकैत अछि' बेसी जांबा लेल पढ़ू 'उचाट' !

आशा मिश्रा कें भेटल पुरस्कार सं साहित्य प्रेमी सभ खुश छथि, मिथिला प्राइम दिस सं आशा मिश्रा कें बधाई।

0 comments:

Post a Comment