मुजफ्फरपुर : तिलकामांझी विश्वविद्यालयक मैथिली विभागाध्यक्ष डॉ. केशकर ठाकुर शोधार्थी सभ सं कहलनि जे मैथिलीक सम्मान आ ओकर विकास लेल सकारात्मक प्रयास करी। मैथिलीक सेवा लेल समर्पणक आवश्यकता अछि।
इ गप्प स्नातकोत्तर मैथिली विभागमे आयोजित मैथिली सम्मान दिवसक मौका पर कहलनि। वक्तागण मैथिली कें सभटा संवैधानिक अधिकार भेटय, मांग केलनि। मौका पर मैथिली साहित्यमे विशेष योगदान देबा लेल साहित्यकार डॉ. केशकर ठाकुर कें सम्मानित कयल गेल। मौका पर मैथिली विभागाध्यक्ष डॉ. अमरनाथ झा, रुसी विभागाध्यक्ष डॉ. सदाशिव खबाड़े, अरुण कुमार, इन्दुधर झा, डॉ. प्रवीण मिश्र, नानटुन पासवान, रंजय ठाकुर, अजय ठाकुर, अनुपम रैना, राधा रानी आदि उपस्थित छलथि।

0 comments:
Post a Comment