Wednesday, January 14, 2015

निक्की प्रियदर्शिनी कें भेटल रित्विक सोनम साहित्य सम्मान 2014

भागलपुर/सुपौल : मैथिलीक शोधार्थी छात्र निक्की प्रियदर्शिनी कें मैथिलीक युवा सम्मान, रित्विक सोनम साहित्य सम्मान 2014 सं सम्मानित कयल गेल अछि। इ पुरस्कार हुनका समीक्षात्मक निबंध संग्रह पोथी 'देखल जा सकैछ' लेल देल गेल अछि। ऋत्विक तृप्ति सोनम स्मृति संस्थान इ पुरस्कार 35 बरख सं कम आयु वर्गक मैथिलीक उल्लेखनीय साहित्यिक कृति लेल देबाक घोषणा केलक अछि। निक्की प्रियदर्शिनी कें 15 जनवरी कें एमएमटीएम कॉलेज परिसर मे 25 हज़ार रुपया, प्रशस्ति पत्र आ स्मृति चिह्न द सम्मानित कयल जाएत।

निक्की मूल रूप सं सुपौल जिलाक रहनिहाइर छथि आ अखन भागलपुर विवि मैथिली विभाग मे एसआरएफक रुपे मैथिली अनुवाद साहित्यक विश्लेषणात्मक अध्ययन विषय पर अपन शोध काज क रहल छथि।

0 comments:

Post a Comment