Sunday, January 25, 2015

उषा किरण खान कें भेटल पद्म श्री सम्मान

नई दिल्ली : केंद्र सरकार आइ सांझ मे एहि बरखक पद्म पुरस्कारक सूची जारी क देलक। एहि सूची मे 9 पद्म विभूषण, 20 पद्म भूषण आओर 75 पद्म श्री अलंकरण प्रदान कयल गेल।

मैथिली-हिन्दीक प्रख्यात लेखिका डॉ. उषा किरण खान कें देशक तेसर सर्वोच्च नागरिक सम्मान 'पद्मभूषण' प्रदान करबाक घोषणा भेल। उषा किरण खान कें साहित्य और शिक्षा क्षेत्र मे विशेष योगदान देबा लेल 'पद्मभूषण' सम्मान प्रदान कयल गेल अछि।

बता दी जे उषा किरण खान उपन्यास 'भामती' लेल मैथिली मे 2010क साहित्य अकादमी पुरस्कार सं सेहो सम्मानित भेल छथि। काँचहि बाँस, अनुत्तरित प्रश्न, दूर्वाक्षत, जाय सं पहिने, भामती आदि हिनक प्रमुख मैथिली पोथी अछि। 69 वर्षीया खान कें सम्मान भेटला सं मिथिलावासी हरखित छथि।

डॉ नरेंद्र प्रसाद जे बिहार सं छथि, हुनको मेडिकल क्षेत्र मे विशेष योगदान देबा लेल सेहो 'पद्मभूषण' सम्मान प्रदान कयल गेल अछि।

भारत सरकार द्वारा कयल गेल प्रेस रिलीज़ :
http://pib.nic.in/newsite/PrintRelease.aspx?relid=114952

0 comments:

Post a Comment