Friday, January 23, 2015

नेताजी बोस आ भागलपुर

भागलपुर : आइ सं लगभगि 75 बरख पहिले नेताजी सुभाषचंद्र बोस भागलपुर आएल छलथि। जनवरी 1940मे धनबादक रामगढ़ हरिपुरा कांग्रेस सम्मेलनमे भाग लेबा लेल कोलकातासं भागलपुर आएल छलथि। एतय अप्पन भाईक सासुरमे रुकला आ फेर लाजपत पार्कमे सभा के संबोधित कएने छलथि।

एतय हुनक संबंधी हुनका काका बाबू कहैत छलथि आ नेताजी लाल चाह बड्ड पसिन करैत छलथि। बादमे हुनक यादमे लाजपत पार्कमे बोस पार्क आ झरना लगाएल गेल छल, संगे नेताजीक प्रतिमा स्थापित कएल गेल चल। नेताजी सुभाष चंद्र बोसक भागलपुरसं पारिवारिक रिश्ता रहल अछि। हुनक पैघ भाई सुरेशचंद्र बोसक सासुर खरमनचक केर ढेबर गेटक सोँझा प्रभाष मंदिरमे छल। नेताजीक पैघ भाईक कनिया अरुणप्रभा बोसक बहिन ऊषाप्रभा बोसक नैत अरुणाभ बोस कहैत छथि जे हुनक पिता स्वर्गीय ईश्वर माधव चंद्र पालक ढेबर गेट लग प्रभाष मंदिर नामक घर छल। हुनक दू गोट बेटी ऊषाप्रभा आ अरुणप्रभा छलथि, जखनकि एकटा बेटा आभाषचंद्र पॉल छल। अरुणप्रभाक बियाह नेताजीक पैघ भाई सुरेशचंद्र बोससं भेल छल। अरुणाभ बोस बतौलनि जे 1940मे जखन ओ एतय आएल छलथि तऽ लाजपत पार्कमे सभा केँ संबोधित करैत 'तुम मुझे खून दो मैं तुम्हें आजादी दूंगा' केर नारा देने छलथि। ओहि समय भागलपुरक बहुतो युवा हिनक विचारधारासं जुड़ि आजादीक लड़ाईमे भाग लेलनि। ओ कहलनि जे हुनक दादी ऊषाप्रभा बोसक बियाह खरमनचक स्थित बोस पार्कमे भेल छल। ओतहि नेताजीक भाईक सार आभाष चंद्र पालक नैत निरुपम कांति पाल कहलनि जे ढेबर गेट लग हुनक मकान छल। ओ कहलनि जे हुनक दादाजी बतौबैत छलथि जे नेताजी केँ एतुक्का लोक काका बाबू कहैत छलथि आ ओ लाल चाह खूब पीबैत छलथि मुदा संयुक्तसं एकल परिवारक कारणे धीरे-धीरे अधिकतर सदस्य कोलकाता जा बसि गेलनि। लगभगि पांच बरख पहिले ओहि मकान केँ सेहो बेचि देल गेल। नेताजीक विचार केँ आगू बढ़ेबा लेल कोनो खास संस्था तऽ शहरमे नहि मुदा किछ संस्था एहन जरूर अछि जे सभ बरख नेताजीक जयंतीक नाम पर कार्यक्रम करैत अछि। आइसं लगभगि 42 बरख पहिले नेताजीक स्मृतिमे सबसं पहिले स्वामी माधवानंदपुरी कार्यक्रम शुरू भेल छल। कार्यक्रम सभ बरख लाजपत पार्कमे होइत छल। ओतहि नेताजीक जयंती मनाएल जाइत छल। हुनक मृत्युक बाद नारायण दास मुखर्जी काज शुरू केलनि। बादमे ओ सुभाष संघ बनौलनि, किछ बरखक बाद इ भागलपुर सांस्कृतिक मंचमे बदलि गेल। बादमे इ संगठन निष्क्रिय भऽ गेल।

0 comments:

Post a Comment