Thursday, January 22, 2015

मिथिलाक विकास लेल बिहार मे चाही मैथिल मुख्यमंत्री : रामचंद्र पासवान

मधुबनी/झंझारपुर : लोजपा सांसद रामचंद्र पासवान बीतल काल्हि मधुबनी जिला मे बहुतो ठाम कार्यकर्ता केँ संबोधित केलनि। झंझारपुर मे ओ पृथक मिथिला राजक मांगक ओकालति करैत कहलनि जे छोट राज भेला सं राजक समुचित विकास होइत अछि, आ हम सेहो छोट राजक पक्षधर छी। मिथिला मे विकासक एक्को टा काज नहि भऽ रहल अछि। मिथिलाक विकास तखने होएत जखन बिहार मे मैथिल मुख्यमंत्री बनत आ इ आहां सभक सहयोग बिना नहि संभव अछि, आहां सभ आगू आबी मिथिलाक विकास हेबे टा करत।

0 comments:

Post a Comment