Monday, January 19, 2015

मिथिला राजक मांग करैत 24 फरवरी कें संसदक सोंझा धरना : बैजू

दरभंगा : अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समितिक अध्यक्ष डॉ बैद्यनाथ चौधरी बैजू कहलन्हि जे प्राकृतिक आपदा सं त्रस्त, उद्योग सं अभावग्रस्त आ गरीबी, बेरोजगारी क कारण मिथिलाक अर्थव्यवस्था पस्त अछि।
एहि सभ समस्याका निदान आ राज्य आ केंद्र सरकार द्वारा भ रहल लगाता उपेक्षा सं निजात लेल मिथिला राज्यक गठन जरुरी अछि। डॉ बैजू कहलन्हि जे 24 फरवरी कें मिथिला राज्यक मांग ल संसदक सोंझा प्रदर्शन कयल जाएत। डॉ बैजू एहि बात सं चिंतित, बतौलनि जे एक दिस मिथिलाक आर्थिक उपेक्षा भ रहल अछि आ दोसर दिस एकर साहित्यिक आ सांस्कृतिक धरोहरक रक्षा सेहो नहि भ रहल अछि।

0 comments:

Post a Comment