बोकारो : मिथिला सांस्कृतिक परिषद, बोकारो द्वारा दू दिनी बोकारो मैथिली महोत्सवक आयोजन आगामी 14-15 फरवरी कें परिषद द्वारा संचालित सेक्टर 4 स्थित मिथिला एकेडेमी पब्लिक स्कूल परिसरमे होएत। एहि महोत्सवमे स्थानीय कलाकार द्वारा मैथिली गीत-नादक कार्यक्रमक संग कवि सम्मेलन आ धिया-पूता लेल चित्रकला प्रतियोगिताक आयोजन होएत। इ निर्णय बीतल रवि कें बीएसएलक महाप्रबंधक, परिषदक अध्यक्ष विजय कुमार झाक अध्यक्षतामे आयोजित परिषद कार्यकारिणीक एकटा बैसार मे लेल गेल।
0 comments:
Post a Comment