मिथिला प्राइम : रुस्सी माथकक त्वचामे स्थित मृत कोशिकाक कारण जनमैत अछि। केश मे रुस्सी भेला सं केश बेजान सं भ जाइत अछि, खसय लगैत अछि आ माथमे नोचनी सेहो होमय लगैत अछि। शैम्पूक उपयोग सं रुस्सी कें जड़ि सं नहि साफ़ कयल जा सकैत अछि, ताहि लेल रुस्सीक ईलाजक लेल घरेलू उपाय बेसी मदद करैत अछि, किछु उपाय :
1. पांच चम्मच पीसल धात्रिक कें राति मे आधा कप पाइन मे भिजा दी, भोर मे एही सं माथ धो ली
2. चुकंदरक पात कें पाइन मे उबाली क पाइन सं माथ धो ली
3. केश कें दहीमे कालीमिर्चक चूर्ण मिला माथ धो ली। इ केला सं केशक रुस्सी त दूर हेबे करात संगे केश मुलायम, कारी आ पैघ होएत
4. दहीमे बेसन मिला केशक जड़ि मे लगेलाक बाद माथ धो ली, इ केला सं केश मे एकता नव चमक आबि जायत
5. नारियलक तेलमे कपूर मिला क केश मे किछु दिन प्रतिदिन लगाबी

0 comments:
Post a Comment