Friday, January 9, 2015

बरौनी खाद कारखाना के चालू करेबा लेल केँद्र आनत प्रस्ताव

बरौनी/पटना : बरौनी खाद कारखाना चालू करेबा लेल केँद्र सरकार जल्दिये मंत्रिपरिषद मे प्रस्ताव आनत। एकरा चालू करेबा लेल साढ़े पांच करोड़ रुपयाक निवेशक प्रस्ताव सरकार द्वारा पेश कयल जाएत। इ जनतब बीतल काल्हि केँद्रीय उर्वरक आ रसायन मंत्री अनंत कुमार बिहारक पूर्व उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी के देलनि।

मोदी काल्हि दिल्ली मे हुनका सं भेँट केलनि। बिहार मे यूरिया क कमीक मुद्दा पर सेहो गप्प भेल जाहि पर केँद्रीय मंत्री आश्वस्त केलनि जे बिहार मे यूरिया खादक कोनो टा कमी नहि होएत। बिहारक कोटा ससमय भेटि जाएत।

0 comments:

Post a Comment