रांची : झारखंडक नगर विकास मंत्री सीपी सिंह झारखंड मे मैथिली केँ दोसर राजभाषा रुपे मान्यता देबाक ओकालत केलन्हि। बीतल रवि केँ हरमू क पटेल मैदानमे झारखंड मिथिला मंच द्वारा आयोजित कार्यक्रममे सीपी सिंह कहलनि जे ओ सरकारमे रहैत मैथिली भाषा केँ मान्यता दियाबय लेल पूरा प्रयास करता।
एहि मौका पर झारखंड मिथिला मंच दिस सं प्रकाशित पंचांग संग कैलेंडरक विमोचन मंत्री सीपी सिंह, हटिया विधायक नवीन जायसवाल आ कांके विधायक जीतू चरण राम केलनि। भरि दिन चलल कार्यक्रममे जतहि साहित्यकार सभ काव्य पाठ केलनि, ओतहि धिया प्रियमक गणेश वंदना पर भाव नृत्यक प्रस्तुति लोक सभ केँ बड्ड निम्मन लगलनि।
कार्यक्रम मे श्रीपाल झा, डॉक्टर एससी झा, छत्तर सिंह, अमरनाथ झा, संतोष कुमार आ मनोज मिश्र आदि उपस्थित छलथि।

0 comments:
Post a Comment