8 जनवरी केँ पटना मे मनायल जाएत मैथिली दिवस
पटना : पटना संग्रहालय परिसरमे 8 जनवरी केँ मैथिली दिवस मनायल जाएत। आठ जनवरी कें मैथिली भाषा केँ संवैधानिक मान्यता भेटल ताहि उपलक्ष्यमे इ कार्यक्रम आयोजित कयल जा रहल अछि। इ जनतब मैथिली साहित्य संस्थानक कोषाध्यक्ष शिव कुमार मिश्र बतौलनि जे एहि मौका पर एकटा व्याख्यानक सेहो आयोजन कयल जाएत। एहिमे छात्रानंद सिंहक व्याख्यान 'मैथिली भाषा क विकासमे आकाशवाणी पटना आ पटनाक आन संस्थानक योगदान, बटुक भाय के संस्मरण' विषय पर रहत। एहि कार्यक्रममे सुधा मंजरी पोथीक लोकार्पण कयल जाएत जेकर लेखक विजय भास्कर मल्लिक सुधापति छथि। एहिमे मिथिलाक लोक परंपराक गीतक संकलन अछि। एहि मौके पर, प्रो हेतुकर झा, प्रो रत्नेश्वर कर्ण आदि उपस्थित रहतथि।
0 comments:
Post a Comment