Wednesday, February 4, 2015

रेल बजट 2015मे मिथिला सं मांग

समस्तीपुरपुर/सहरसा : रेल बजट 2015मे मिथिलाक मांग बहुत बेसी अछि, मिथिला प्राइम किछु प्रमुख मांग समेटबाक प्रयास केलक अछि!


 #1 मुजफ्फरपुर-दरभंगा आ समस्तीपुर-जयनगर दोहरीकरणक संग विद्युतीकरण होए

 #2 मिथिला क्षेत्रक सभटा स्टेशन पर पूर्ण उद्घोषणा मैथिलीमे होए संगे क्षेत्रक सभटा स्टेशन पर स्टेशनक नाम पहिले मिथिलाक्षरमे लिखल जाए ओकरा बाद हिँदी आ अंग्रेजीमे

 #3 मिथिला क्षेत्रक सभटा रैक प्वाइंट केँ सुदृढ़ कएल जाए

 #4 कटिहार-नई दिल्ली, सीतामढ़ी-टाटा(भाया-भागल­पुर), भागलपुर-अहमदाबाद, जोगबनी-रांची, सीतामढ़ी-जयपुर(भाया समस्तीपुर), जयनगर-मुंबई, जोगबनी-जम्मूतवी, बरौनी-नई दिल्ली(भाया सीतामढ़ी), मुजफ्फरपुर-चेन्नई(भाया रायपुर), सहरसा-इंदौर(भाया सीतामढ़ी), सहरसा-बेँगलुरु, मुजफ्फरपुर-हावड़ा, दरभंगा-जम्मूतवी(भाया सीतामढ़ी), रक्सौल-गुवाहाटी(भाया­ दरभंगा), जयनगर-एर्नाकुलम नव एक्सप्रेस ट्रेन भेटय

 #5 सहरसा-सियालदह आ मुजफ्फरपुर-नई दिल्ली लेल दूरंतो एक्सप्रेस ट्रेन भेटय

#6 सहरसा-अमृतसर आ जयनगर-आनंद विहार गरीब रथ के प्रतिदिन कयल जाय

#7  दरभंगा-नयी दिल्ली रेलखंड पर राजधानी एक्सप्रेसक परिचलन शुरू होइ

#8 बरौनी-जयनगर, मुजफ्फरपुर-सीतामढ़ी, सहरसा-समस्तीपुर रुट पर पैँसजर ट्रेनक संख्या बढ़य

 #9 मुजफ्फरपुर-देहरादूनक­­ दरभंगा धरि विस्तार, दरभंगा- नई दिल्ली स्वतंत्रता सेनानीक जयनगर धरि विस्तार, मुजफ्फरपुर-अंबालाक सीतामढ़ी धरि, दरभंगा-पुणे ज्ञानगंगा एक्सप्रेसक सहरसा विस्तार धरि होए

 #10 मिथिलामे जतेक भी छोट रेल लाइन अछि ओकरा शीघ्राति शीघ्र बड़ी रेल लाइनमे बदलल जाए

 #11 मधेपुरा रेल इंजन कारखाना जल्द खुजय

 #12 बिहार संपर्क क्रांति सुपर फास्ट एक्सप्रेस केर नाम मिथिला संपर्क क्रांति सुपर फास्ट कएल जाए

 * कमेँटक माध्यमे अहूं अप्पन मांगक सुझाव राखि सकैत छी *

0 comments:

Post a Comment