Monday, February 23, 2015

पटना मे रिलीज़ भेल 'ललका पाग'

पटना/सहरसा : सिनेपोलिस, पटना मे बीतल शुक्र कें मैथिली फिल्म ललका पाग क प्रदर्शन कायल गेल आ अखन धरि ओतहि प्रदर्शित भ रहल अछि। 

निर्देशक प्रशांत नागेंद्र क कहब अछि जे इ फिल्म महिला सभ कें एक बेर जरूर देखबाक चाही। फिल्म मैथिलीक प्रसिद्ध साहित्यकार डॉ राजकमल चौधरीक चर्चित कथा ललका पाग पर आधारित अछि जाहि मे मैथिल नारीक त्यागक कथा-व्यथाक चित्रण कयल गेल अछि. बता दी जे एहि फ़िल्मक  ज्यादातर सीन मिथिला क्षेत्रक अछि। 27 फरवरी कें मिथिलाक सभ सिनेमा घर मे इ फिल्म प्रदर्शित होएत।

0 comments:

Post a Comment