Sunday, March 8, 2015

मधेपुरा आ मढ़ौरा मे इंजन कारखाना लगेबाक तैयारी पूरा

नई दिल्ली/हाजीपुर : रेल मंत्रालय बिहारक दू टा पैघ एफडीआई प्रोजेक्ट्स कें अप्पन हरियर झंडी देखा देलक। बतायल जा रहल अछि जे मधेपुरा आ मढ़ौरा मे 2,400 करोड़  लागत सं डीजल आ इलेक्ट्रिक इंजन कारखाना लगेबाक तैयारी पूरा भ गेल अछि।

एकरा लेल बाकायदा वित्तीय बोली कें अंतिम रूप द देल गेल अछि। मंत्रालयक एकटा अधिकारी बतौलनि जे दुनु संयंत्रक लेल वित्तीय बोली दस्तावेज वला प्रस्तावक लेल आग्रह (आरएफपी) तैयार अछि आ छांटल गेल बोली लगौनिहारि कंपनी कें एकर सूचना द देल गेल अछि।

मधेपुराक प्रस्तावित इलेक्ट्रिक इंजन कारखाना क लेल चारि टा वैश्विक कंपनी अल्सटाम, सीमंस, जीई आ बाम्बार्डियरक नाम छांटल गेल अछि आ ओतहि मढ़ौरा डीजल इंजन कारखाना लेल दू टा बहुराष्ट्रीय कंपनियों जीई आ ईएमडी क नाम छांटल गेल अछि। एहि दुनू कारखानाक अनुमानित लागत 1200-1200 करोड़   अछि।

0 comments:

Post a Comment