Tuesday, March 10, 2015

साहित्य अकादमी अनुवाद पुरस्कार सं पुरस्कृत भेल ‘मलाहिन’

दरभंगा : मैथिली मे साहित्य अकादमी क अनुवाद पुरस्कार एहि बेर राम नारायण सिंह कें देल जाएत। हिनका मलयालम उपन्यासक मैथिली अनुवाद लेल इ पुरस्कार देल जाएत। साहित्य अकादमी मे मैथिलीक प्रतिनिधि प्रो. वीणा ठाकुर इ जनतब देलनि।

बीतल आठ मार्च कें अकादमी मुख्यालय मे भेल बैसारमे इ निर्णय लेल गेल। निर्णायक मंडली मे पटना सं डा. वासुकीनाथ झा, गुवाहाटी सं सत्यानंद पाठक आओर दरभंगा सं डा. अमरनाथ झा छलथि। श्री सिंह मलयालम साहित्यकार तक्सी शिवशंकर पिल्लै क उपन्यास 'चेम्मीन' क मैथिली में ‘मलाहिन’ नाम सं अनुवाद केलन्हि।

0 comments:

Post a Comment