Friday, March 20, 2015

गंगेश गुंजन कें भेटल विद्यापति पुरस्कार

पटना : मैथिली आ हिन्दीक प्रसिद्ध साहित्यकार गंगेश गुंजन कें बिहार सरकारक विद्यापति पुरस्कार लेल चुनल गेल अछि। बिहार सरकारक राष्ट्रभाषा विभागक हिन्दी सेवी सम्मान आओर पुरस्कार योजना 2014-15क अंतर्गत विद्यापति पुरस्कारक रुपे हिनका पचास हजार रुपया आओर प्रशस्ति पत्र देल जाएत।

73 वर्षीय गंगेश गुंजन साहित्य अकादमी पुरस्कार सं सेहो सम्मानित भेल छथि। हिनका मैथिली खिस्सा संग्रह ‘उचित वक्ता’ लेल 1994 मे साहित्य अकादमी पुरस्कार भेटल छल।

0 comments:

Post a Comment