Sunday, March 22, 2015

मैथिली के द्वितीय राजभाषा बनेबाक मांग

रांची :  झारखंड मैथिली मंचक एकटा प्रतिनिधिमंडल बीतल बृहस्पति दिन राज्यक मुख्यमंत्री रघुवर दास सं भेंट केलनि।

मुख्यमंत्री कें देल गेल पत्रमे मैथिली मंच, मैथिली के राज्यक द्वितीय राजभाषा सूचीमे जोरबाक मांग कयल गेल। रघुवर दास एहि संबंध में विचार करब, से आश्वासन देलनि। प्रतिनिधिमंडल मे मंचक महासचिव जयंत झा, अरुण झा, सुबोध चौधरी आदि उपस्थित छलथि।

0 comments:

Post a Comment