Sunday, March 29, 2015

मिथिला रंग महोत्सव 1 सं 3 मई धरि मधुबनी मे

मधुबनी : मैथिली रंगकर्मक ख्यातिप्राप्त दिल्लीक संस्था मैलोरंग, मिथिला रंग महोत्सवक आयोजन 1 सं 3 मई धरि मधुबनी मे करत।
एहि संबंध मे जनतब दैत मैलोरंगक निदेशक प्रकाश झा कहलनि जे महोत्सवक आयोजन संस्कृति मंत्रालय भारत सरकारक सहयोग सं कयल जाएत जेकर उद्घाटन डा.ओम प्रकाश भारती, निदेशक पूर्वी क्षेत्रीय संस्कृति केन्द्र कोलकाता करता। एहि महामहोत्सव मे'जल डमरू बाजे', 'देह पर कोठी खसा दिए', 'मैथिली नारि : चारि रंग', 'फांस' आओर 'चान चकोर' नाटकक मंचन कयल जाएत।

0 comments:

Post a Comment