Thursday, April 2, 2015

तीन दिनी मिथिला महोत्सवक आयोजन 4 अप्रैल सं दरभंगा मे

दरभंगा : मैथिली लोक संस्कृति मंच दिस सं तीन दिनी मिथिला महोत्सवक आयोजन 4 अप्रैल सं होएत।
 


इ जनतब दैत मंचक सचिव प्रो.उदय शंकर मिश्र बतौलनि जे महोत्सवमे आचार्य सुदर्शन, लनामिवि क कुलपति डॉ.साकेत कुशवाहा, कासिंद संस्कृत विवि क कुलपति डॉ.देवनारायण झा, सांसद कीर्ति आजाद, विधायक संजय सरावगी, अमरनाथ गामी, विधान पार्षद देवेशचंद्र ठाकुर, पूर्व एमएलसी विनोद कुमार चौधरी, डॉ.मोहन मिश्र आदि बहुतो लोकक उपस्थिति रहत । एहि तीन दिनी महोत्सव मे विचार गोष्ठीक संग सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन होएत। 

0 comments:

Post a Comment