रांची : देसिल बयना सब जन मिट्ठा. महाकवि विद्यापति क' एहि अमर पांतिक उद्देश्यक सं बीतल शनि के दिगंबर जैन भवन, रांची मे दू-दिनी मैथिली पुस्तक मेला झारखण्ड मिथिला मंचक तत्वावधान मे शुरू भेल.
मेलाक उद्घाटन हाईकोर्टक जस्टिस हरीशचंद्र मिश्र केलनि. बतौर विशिष्ट अतिथि बीएसएनएलक मुख्य महाप्रबंधक केके ठाकुर उपस्थित छलथि। मौका पर साहित्यकार पीके झा कहलनि जे मैथिल मे पोथी कीनि क' पढ़बाक परंपरा समाप्त भेल जा रहल अछि. जौं सौ बंगाली मे सं एक गोटे पोथी कीनैत अछि जखन की मैथिल मे इ आंकड़ा पांच हज़ार पर एक अछि.
समारोह मे सुरेंद्र पाठक आ विवेकानंद ठाकुर साहित्य पुरोधा सम्मान सं सम्मानित कयल गेला. अतिथिगण इंद्रनारायण झाक मिथिला लोक चित्रकला पोथीक लोकार्पण केलनि.
मेला में लगभग पांच हज़ार पति अछि जे किसुन संकल्प लोक सुपौल, त्रिशुलिनी समिति लहेरियासराय, शिव पुस्तक भंडार और रूना प्रकाशन रांची के स्टॉल पर अछि. एहि स्टाल सभक शोभा महाकवि विद्यापति, विद्यापति रचनावली, महात्मा गांधी क' हमर सपनाक भारत, कर्पूरी ठाकुर व्यक्तित्व कृतित्व, लक्ष्मीपति सिंह रचना संचयन आदि पोथी बढ़ा रहल अछि। दू दिनी इ पोथी मेला आइ संपन्न भ' जाएत.

0 comments:
Post a Comment