एहि चुनाव मे पलायन कोनो मुद्दा नै छैक, उद्योग लागय ताहि पर कोनो चर्चा नै-क्षेत्रक युवा के रोजगार भेटय से कोनो मुद्दा नै, बाढ़ि सं उद्धार लेल कोनो 'विजन' नै, मिथिला क्षेत्र मे पर्यटन फलय-फूलय ताहि लेल कोनो चर्चा नै....शिक्षा'क गुणवत्ता सुधरय....आहि रे बा..बिसारिये गेल छलिये जे एहि बेरुक चुनाव त' विकासक मुद्दा पर छै...विकास कथीक से कोनो राजनीतिक दल के बुझल नै मुदा राजनेता विकासक मतलब अपना तक सीमित जरूर रखैत छथि...एहि बेरुक चुनाव नितीश बनाम मोदी छै....मोदी प्रधानमंत्री सं मुख्यमंत्री बनबा लेल व्याकुल छथि किएक त' हुनका उत्तर प्रदेश आ बंगाल आदिक मुख्यमंत्रीक सपना सेहो छन आ ओ सपना बिहारक मुख्यमंत्री बनला टा से हेतन...नितीश जी सेहो अपन लालू भैयारी संगे मुख्यमंत्री बनबा लेल व्याकुल छथि चाहे ओ आगे बढ़ता रहा बिहार..या और किछु शपथक संग....ओना अखन भाषणक मौसम छै...एकटा भोटर लेल 5 सालक खेतीक हाल देखलाक बाद कोन बिया रोपी से सोचि असमंजस मे रहैत छथि मुदा एकटा गप्प सं भिज्ञ रहैत छथि जे कोनो बिया रोपी...सिम्मर होएत परिणाम....मुदा तैयो अन्हारक बाद भोरे सूरजक किरण सन इजोत हेबे करतै....यैह आशाक संग...
0 comments:
Post a Comment