Saturday, October 10, 2015

‪बिहार चुनाव मे मिथिला‬ 2

पहिल चरण लेल प्रचार कार्यक्रम समाप्त भ' गेल..काल्हि भरि दिन दारू कार्यक्रम चलत...10 जिला 49 टा सीट...586 उमीदवार जाहि मे 54 गोट महिला ...एहि 49 टा सीट मे 10 टा सीट असगरे समस्तीपुर सं आ लखीसराय आ शेखपुरा सं सभसं कम 2 गोट सीट...ओना चुनावी शंखनाद होयबा सं पूर्व झंझारपुर क' निर्दलीय उमीदवार पर गोली चला बिहार चुनाव'क शंख फुंकल गेल...ओना अखन आओर शंख फूटी सकैत अछि..बता दी जे झंझारपुर मे अंतिम चरण मे चुनाव छै....मनोज तिवारी भोजपुरी मे भाजपाक प्रचार क रहल छथि मुदा अखन धरि मैथिलीक तेहन गूंज अखन धरि नहि आएल अछि...समस्तीपुर मे किछु वरिष्ठ राष्ट्रीय स्तरक पत्रकार सब जरूर समस्तीपुर के मिथिलांचल क्षेत्र मे बता रहल छथि....प्रचार करबा लेल परबत्ता विधानसभा मे अजय देवगन भाजपा उमीदवार लेल आ भागलपुर मे कांग्रेस उमीदवार लेल उमीदवार क' बेटी नेहा शर्मा आकर्षणक केंद्र रहल....एकटा 'इंडिपेंडेंट' उमीदवार कैप्सटन सिगरेट पिबैत इलेक्शन कमीशन के गरियाबैत कही रहल छथि..इ कोन तरीका भेलै, मास भरिक बाद इलेक्शन रिजल्ट एतै .. 2010 क चुनाव मे एहि 49 गोट सीट पर जेडीयू 29, भाजपा 13, राजद 4, कांग्रेस 1 आ अन्य कें 2 सीट भेटल छल....एहि बेर आब जे होइ..

0 comments:

Post a Comment