पूर्णिया : मिथिलाक पूर्णिया जिला कें ई-गवर्वेंस मे बिहारक पहिल जिला हेबाक राष्ट्रीय पुरस्कार भेटल. दू दिन पहिले दिल्लीक विज्ञान भवन मे जिलाक सूचना विज्ञान पदाधिकारी आ ज़िलाधिकारीक नाम इ पुरस्कार घोषित आ केन्द्रीय आईटी मंत्री रविशंकर प्रसाद द्वारा जारी कयल गेल अछि.
देश मे 56 जिला के डिजिटल इंडिया प्रोग्रामक अंतर्गत इ पुरस्कार भेटल अछि जाहिमे बिहारक तीन जिलामे पूर्णिया सभसं पहिल जिला अछि, आन दू जिला गोपालगंज आ सिवान अछि.
पूर्णियाक जिलाधिकारी पंकज कुमार पाल पुरस्कार के जिलामे आईटी क' तहत कयल गेल काजक परिणाम बतौलनि. केंद्रीय आईटी मंत्रीक हाथे पुरस्कार लेबाक बाद जिलाक सूचना विज्ञान पदाधिकारी गौतम मिश्रा बतौलनि जे जिला वेबसाइटक नीक प्रदर्शनक संग कसबा, जलालगढ प्रखंडमे कंप्यूटरीकरणक काज प्रखंड सभमे डिजिटल लॉकर खोलबाक सफल काज कयल गेल अछि.
कतेको ठाम ऑनलाइन क्वीज आ ग्रामीण आशा सभकें प्रशिक्षित करबाक काज सेहो सफलतापूर्वक कयल गेल जाहि कारणे जिला क ई-गवर्नेंस क' काज मे पुरष्कृत हेबाक मौका भेटल.

0 comments:
Post a Comment