Saturday, January 2, 2016

केदारनाथ चौधरी के बरख 2016 क' प्रबोध साहित्य सम्मान

कोलकाता/दरभंगा/सहरसा : बरख 2016 क' प्रसिद्ध प्रबोध साहित्य सम्मान दरभंगाक मैथिली साहित्यकार केदारनाथ चौधरी के देल जाएत. हुनका इ सम्मान हुनक पोथी 'आबारा नहितन' लेल देल जाएत. इ पोथी मैथिलीक पहिल फ़ीचर फ़िल्म 'ममता गाबए गीत' कोना-कोना बनल ताहि पर अछि. बीतल शुक्रदिन कें कोलकाता मे एकर घोषणा कयल गेल.

बताबी जे प्रबोध साहित्य सम्मान कोलकाताक स्वास्ति फाउंडेशन द्वारा देल जाइत अछि. एकरा अंतर्गत एक लाख रुपया, स्मृति चिह्न आ प्रशस्ति पत्र प्रदान कयल जाइत अछि.एहि सम्मानक शुरूआत बरख 2004मे कलकत्ता विविक हिंदी विगाध्यक्ष स्व प्रबोध नारायण सिंहक स्मृति मे भेल छल.
दरभंगा जिलाक नेहरा गाम मे तीन जनवरी 1936 के जनमल केदारनाथ सिंह कैलीफोर्निया विवि सं एमबीए क' डिग्री लेलनि, ओकरा बाद अमेरिका, यूरोप आ एशियाक कतेको देशक बैंक आ वित्तीय संस्थान मे नौकरी केलनि. श्री चौधरी बरख 2001 मे दरभंगा एला आ लेखनी शुरू केलनि. हिनक चर्चित पोथी मे करार, चमेली रानी, माहुर आदि अछि. 14 फरवरी के सहरसामे होमय वला समारोहमे हुनका इ सम्मान देल जाएत.
मिथिला प्राइम दिस सं केदारनाथ चौधरी के हार्दिक बधाई.

0 comments:

Post a Comment