दरभंगा : मुजफ्फरपुर लोकमान्य तिलक टर्मिनल (एलटीटी) एक्सप्रेसक दरभंगा धरि विस्तारित क' देल गेल अछि. मुबंई गेनहार यात्री के एकर लाभ 11 जनवरी सं भेटब शुरू भ' जाएत. हालाकि, मुबंई सं एनिहार यात्री के एकर लाभ 9 जनवरी सं भेटय लागत. सप्ताह मे चारि दिन दरभंगा, लहेरियासराय, समस्तीपुर होइत नियत समय पर मुजफ्फरपुर सं लोक मान्य तिलक लेल प्रस्थान करत.
सप्ताहक रवि, सोम, बुध आ शुक्र कें दरभंगा सं खुजत. एकर परिचालन दरभंगा सं मुबंई जाइ वाली पवन एक्सप्रेसक नियत समय पर कयल जाएत. बताबी जे दरभंगा सं मंगल, गुरु आ शनिदिन के मुबंई लेल अखन पवन एक्सप्रेस चलैत अछि. मुजफ्फरपुर एलटीटी एक्सप्रेसक विस्तार भेल सं यात्री दरभंगा सं मुबंई सातों दिन यात्रा क' सकैत छथि.
![]() |
Add caption |

मुम्बई शहाड क मीटिंग मे कार्यकर्ता सभक कहला पर साल डेढ़ साल पहिले दरभंगा तक सुपरफास्ट ट्रेन हेतु अन्तरराष्ट्रिय मैथिली परिषद दिशिस हम रेल मंत्री के लिखने छलहुँ लेकिन जिनकर ककरहुँ प्रयास स इ भेल ओ धन्यवाद क पात्र छथि
ReplyDeleteनीक बात ।
ReplyDelete