Wednesday, January 27, 2016

भारत रंग महोत्सवमे पहिल बेर पहुंचल मैथिली, 6 फरवरी कें 'जानकी परिणय' क' मंचन

नई दिल्ली : अथक प्रयास बाद मैथिली 18म भारत रंग महोत्सवमे पहिल बेर पहुंच गेल अछि.

6 फरवरी कें मैथिली लोक रंग क' तत्वावधान मे मैथिली नाटक 'जानकी परिणय' मंचित होएत. सियाराम विवाह(कथा-संकीर्तन) प्रसंग पर क्रेंदित नाटक चन्द्रनाथ चौधरीक निर्देशन मे होएत. नाटकक' प्रस्तुति सांझक 6 बजे राष्ट्रीय नाट्य विद्यालय, मंडी हाउस, नई दिल्ली मे होएत. नाटक करीब 2 घंटाक अछि.

0 comments:

Post a Comment