Saturday, February 27, 2016

पाग बचाउ अभियान क' औपचारिक शुरुआत 28 फरवरी सं दिल्ली मे

नई दिल्ली : मिथिलालोक संस्था दिस सं दिल्ली क' आईटीओ स्थित राजेंद्र भवन मे 'पाग बचाउ अभियान' क' औपचारिक शुरुआत 28 फरवरी कें एकटा विशेष कार्यक्रमक माध्यमे सं कयल जाएत. संस्थाक मानब अछि जे पाग मिथिला सांस्कृतिक पहचान अछि. महाकवि विद्यापतिक फोटो मे हुनका माथ पर पाग देखि ओ बुझि जाइत छथि जे विद्यापति मिथिला सं छथि आ हम सभ गर्व करैत छी. पाग मिथिलाक बड्ड पुरान विरासत अछि जेकर विशेष महत्व रखैत अछि जेकरा आइ बचेबाक प्रोयजन अछि.

पाग भारत आ नेपालक मिथिला क्षेत्र मे मैथिली भाषी ब्राह्मण आ कायस्थ वर्ण मे मांगलिक अवसर पर पहिरबाक परंपरा रहल अछि.
मिथिलालोक संस्था मानैत अछि जे पाग मिथिलाक मान, सम्मान, शान आ एकताक प्रतीक अछि, जेकरा बचायब बड्ड जरुरी अछि. समाजक सभ वर्ग के सम्मानित होएब आ मैथिलक पहिचान बना राखब एहि अभियानक उद्देश्य अछि जाहि सं सामाजिक, सांस्कृतिक आ आर्थिक स्थति के सुदृढ़ कयल जाएत. संस्था मिथिलाक सभ वर्ग के 'पाग' पहिराबय चाहैत अछि आ एहि सम्मानक पात्र सभ मैथिल के मानैत अछि.
मिथिलालोक एहि सांस्कृतिक धरोहर 'पाग' के नव आयाम दबा लेल विशेष अभियानक शुरुआत 28 फरवरी के दिल्ली सं क' रहल अछि.
संस्थाक अध्यक्ष डॉ. बीरबल झा कहलनि जे एहि मौका पर सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन सेहो होएत आ एहि मे शामिल सभ गोटें के पाग पहिरा सम्मानित कयल जाएत. डॉ. झ कहलनि जे 'पाग फॉर ऑल ' संस्थाक मिशन अछि.
बताबी जे 'पाग बचाउ अभियान' सं बॉलीवुड अभिनेता नरेंद्र झा आ मैथिली गायक विकास झा एहि अभियान सं जुडी चुकल छथि.

0 comments:

Post a Comment