पटना/दरभंगा : मुख्य पासपोर्ट अधिकारी मुक्तेश कुमार परदेशी 22 मार्च के दरभंगा मे पासपोर्ट लद्यु सेवा केंद्रक उद्घाटन करता. दरभंगा क' दिल्ली चौक लग इ कार्यालय खुजत.
क्षेत्रीय पासपोर्ट अधिकारी शत्रुघ्न सिन्हा बतौलानि जे तैयारी अंतिम चरण मे अछि. दरभंगा मे पासपोर्ट लद्यु केंद्र बनला सं एतहि पासपोर्ट क' प्रिंटिंग लगाइत सभ काज होमय लागत. अखन इ काज पटना कार्यालय मे होइत अछि. दरभंगा पासपोर्ट केंद्र बनला सं मुजफ्फरपुर लगाइत मिथिला क्षेत्र 10 जिलाक पासपोर्ट दरभंगा मे बनय लागत.
0 comments:
Post a Comment