Wednesday, March 16, 2016

भारतीय नोट पर आब जल्दिये देखाइत देत मैथिली भाषा

नई दिल्ली : भारतीय नोट पर आब जल्दिये मैथिली भाषा देखाइत देत. केंद्र सरकार नोट पर अंकित होमय वला वाक्य के आठम सूची मे शामिल सभ भाषा मे लिखबाक निर्देश देलक अछि. वर्तमान मे नोट पर 17 टा संवैधानिक भाषा क' प्रयोग होइत. नव व्यवस्था सं नोट पर अंकित होमय वला वाक्य (राशि) 22 भाषा मे होएत.


केंद्र सरकार क' मानब अछि जे मैथिली क' अप्पन पुरान लिपि कैथी वा तिरहुता बड्ड समृद्ध अछि. एहि भाषा के नोट पर एला सं  राष्ट्रीय एकता आओर मजगूत होएत. मैथिलीक समृद्ध सांस्कृतिक विरासत के नोट क' माध्यम सं बेसी सं बेसी लोक जानि-बुझि सकता. सभ भाषा के नोट पर अंकित करबाक लेल सरकार वाक्य क' आकर मे बदलाव क' सकैत अछि. बताबी जे मैथिली के आठ जनवरी 2004 के आठम अनुसूची मे जोड़ल गेल छल.

0 comments:

Post a Comment