मिथिला प्राइम : एकटा समय एहन आबि जाइत छैक जखन परिवर्तन जरुरी भ' जाइत छैक, परिवर्तन तखन आओर बेसी जरुरी भ' जाइत छैक जखन संस्कृति लगातार हेरायल जा रहल होइत रहैछ. ओकरा पुनर्जीवन देबा लेल परिवर्तन बहुत जरुरी भ' जाइत छैक नहि त' परंपरा ख़त्म हेबाक डर बुझाय लागय छैक.
परिवर्तन परंपरा सं हटि क' हो त' ओ परिवर्तन, परिवर्तन नहि रहि जाइत छैक ओ सांस्कृतिक परम्पराक संग खिलवाड़ भ' जाइत छैक मुदा जौं परंपराक परिधि के देखैत बदलाव हो सेहो तखन जखन संस्कृति हेराइत देखाइत बुझाइ छैक त' बदलाव सहर्ष स्वीकार हेबाक चाही. जखन नवतुरिया के परिवर्तित स्वरुप पसिन छैक तखन ओकर स्वागत जरूर हेबाक चाही.
ओना अखन इ कहब जल्दीबाजी होएत जे पाग क' परिवर्तित स्वरुप सफल रहत वा नहि, बुद्धिजीवी वर्ग भ' सकैत अछि जे ओ पाग मे किछु नव नहि चाहैत होथि मुदा कनि स्थिर चित्त त' सं सोचथि त' जवाब यैह भेटतन जे जौं पाग क' भविष्य वर्तमाने सन रहलै त' कतेक दिन रहत ?
जखन हमरा सन युवा एहि तरहक नव परिवर्तन देखैत अछि त' ओहि दिस आकर्षित होइत अछि, त' आओर की चाही ? मैथिल युवा अप्पन संस्कार-संस्कृति दिस आपस आबि रहल छथि किछु बदलवाक संग त' ओकर स्वागत अवश्य हेबाक चाही.
काल्हि सांझ गायक विकास झा सोशल साइट फेसबुक पर पागक संशोधित रूप मे नज़र एला, जे 'मिथिला लोक' संस्था द्वारा सम्मान स्वरुप देल गेल छल. पाग क' नव स्वरूप देखि फेसबुक पर मैथिल गण समर्थन आ विरोध मे ठाढ़ भ' गेलथि मुदा समर्थन बेसी देखायल.

![]() |
गायक विकास झा नव स्वरूपक पाग पहिरने |

0 comments:
Post a Comment