Monday, February 1, 2016

पटना मे विमोचित भेल पहिल मैथिली लप्रेक संग्रह 'प्रेमक टाइमलाइन'

पटना : प्रेम पर लिखल गेल पोथी 'प्रेमक टाइमलाइन' क' ई-वर्जनक सीडी विमोचन बीतल काल्हि पटना मे भेल. लघु प्रेम कथा शैली मे लिखल गेल एहि पोथी मे मैथिली मे दस युवा लप्रेककार क' संकलन अछि.

मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार आ कवि श्याम दरिहरे, पंकज चौधरी, अमित पाठक आ गुंजन श्री द्वारा  मैथिली संगोष्ठी 'साहित्यिक चौपाड़ी' मे एकर लोकार्पण कयल गेल. पोथीक बारे मे गुंजन श्री बतौलनि जे लप्रेक शैली मे लिखल गेल मैथिली मे पहिल पोथी अछि. एहि मे युवा मन मे प्रेम के ल' पनपैत भावक बारे मे लिखल गेल अछि. पाठक के प्रेम पर सुन्दर अभियक्ति पढ़बा मे भेटत. 'प्रेमक टाइमलाइन' प्रकाशक नवारंभ अछि जेकर दाम 99 रुपया राखल गेल अछि मुदा ऑनलाइन साइट सैप्पीमार्ट पर मात्र 80 रुपया मे प्रीबुकिंग लेल उपलब्ध अछि. 

0 comments:

Post a Comment