Sunday, January 31, 2016

मैथिली मे भेटय ज्ञान पीठ पुरस्कार : एस मुमताजुद्दीन

दरभंगा : मैथिली मधुर भाषा अछि, एकर साहित्य बड्ड समृद्ध अछि. एहि लेल मैथिली मे ज्ञान पीठ पुरस्कार भेटबाक चाही. ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय क पीजी मैथिली विभाग क पत्रिका 'मैथिली' क लोकार्पण संबोधन मे बीतल शनि के प्रोवीसी प्रो. एस मुमताजुद्दीन उक्त गप्प कहलनि.

ओ कहलनि जे भाषाक दृष्टि सं मैथिली बड्ड उपयोगी अछि. एकर वैशिष्टता विलक्षण अछि. डॉ. भीमनाथ झा कहलनि जे विभागक इ शोध पत्रिका बड्ड उपयोगी अछि. शोधार्थी के सतत शोध आलेख लेखनक लेल प्रोत्साहित करैत रहबाक चाही. विभागाध्यक्ष डॉ. धीरेंद्र नाथ मिश्रक अध्यक्षता मे आयोजित कार्यक्रम मे डॉ. वीणा ठाकुर स्वागत संबोधनक संग धन्यवाद ज्ञापन केलनि. संचालन डॉ. रमण झा केलनि.

0 comments:

Post a Comment