Sunday, January 31, 2016

भारत रंग महोत्सव मे मैथिली नाटक 'जानकी परिणय' क टिकटक ऑनलाइन बुकिंग शुरू

नई दिल्ली : भारत रंग महोत्सव मे 6 फरवरी कें मैथिली लोक रंग क' तत्वावधान मे मैथिली नाटक 'जानकी परिणय' मंचित होएत. सियाराम विवाह(कथा-संकीर्तन) प्रसंग पर क्रेंदित नाटक पंडित चन्द्रनाथ चौधरीक निर्देशन मे होएत. नाटकक' प्रस्तुति सांझक 6 बजे राष्ट्रीय नाट्य विद्यालय, मंडी हाउस, नई दिल्ली मे होएत. नाटक करीब 2 घंटाक अछि.

टिकट क' बुकिंग आहां ऑनलाइन सेहो क' सकैत छी, टिकट क' दाम 50 आ 100 रुपया राखल गेल अछि, जानकी परिणय नाटक देखबा लेल बुकिंग आहां एहि लिंक पर जा क' सकैत छी. मात्र 210 टा सीट अछि, त' जल्दी सं बुक करू.

0 comments:

Post a Comment