सहरसा : सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव बीतल मंगलदिन रेलमंत्री सुरेश प्रभु सं भेंट क' सहरसा सं पटना लेल रात्रिकालीन ट्रेन के संग मुंबई लगाएत आन शहर लेल नव ट्रेनक शुरू करबाक मांग केलनि.
रेलमंत्री के सौंपल गेल ज्ञापन में सांसद नई-दिल्ली सं बरौनी वैशाली एक्सप्रेस क' विस्तारीकरण सहरसा धरि, सहरसा सं अमृतसर धरि जाय वाली जनसेवा एक्सप्रेसक परिचालन प्रतिदिन करेबा, पुरबिया एक्सप्रेस के प्रतिदिन चलेबाक लेल, सहरसा सं खगड़िया, मुंगेर होइत रांची लेल नव ट्रेन चलेबाक, रेल बजट मे देल गेल ट्रेन तेजस, हमसफर, उदय के सहरसा सं चलेबाक अनुरोध केलनि. एकरा संगे पूर्व मध्य रेलवे क' समस्तीपुर मंडल अंतर्गत सहरसा-पूर्णिया रेलखंडक उद्धाटन करबाक अनुरोध केलनि.
सांसद रेलमंत्री के सौंपल ज्ञापन मे सहरसा, मधेपुरा आ मुरलीगंज स्टेशन के मॉडल स्टेशन घोषित क' राष्ट्रीय स्तरक दर्जा देबाक अनुरोध केलनि. सांसद कहलनि जे तीनू स्टेशन बड्ड पुरान स्टेशन अछि मुदा यात्री सुविधाक कमी छैक. सहरसा कोसी प्रमंडलक मुख्यालय अछि आ सहरसा सं बड्ड लोक यात्रा करैत छथि. इ क्षेत्र मकई आ मखानक पैघ केन्द्र छैक. रेलवे स्टेशनक लगीच सिहेंश्वर, उग्रतारा स्थान, विराटपुर चंडी स्थान, कारु खिरहरि स्थान, सूर्य मंदिर समेत लगाएत बहुतो तीर्थस्थल छैक, जौं इ स्टेशन मॉडल स्टेशनक रूपे विकसित होएत त' इ क्षेत्र विकसित भ' सकत. सांसद बतौलानि जे रेलमंत्री आवश्यक कार्रवाई करबाक भरोस देलनि.
0 comments:
Post a Comment