Wednesday, March 23, 2016

दरभंगा मे खुजल पासपोर्ट ऑफिस

दरभंगा : शहरक वासुदेवपुर मे बीतल मंगलदिन पासपोर्ट सेवा केंद्र क' शुरूआत भेल जेकर उद्घाटन विदेश मंत्रालयक संयुक्त सचिव आ मुख्य पासपोर्ट अधिकारी मुक्तेश कुमार परदेशी केलनि. एहि अवसर पर पटना पासपोर्ट सेवा केंद्रक पासपोर्ट अधिकारी मनोज कुमार सेहो उपस्थित छलथि.

इ पासपोर्ट सेवा केंद्र बिहार मे पटना बाद दोसर केंद्र अछि. एकरा संग मिथिलाक 9 जिला दरभंगा, मधुबनी, समस्तीपुर, मुज़फ्फरपुर, सीतामढ़ी, शिवहर, सुपौल, सहरसा आ खगड़िया के जोड़ल गेल अछि. एहि जिलाक लोक के आब पासपोर्ट बनेबा लेल पटना नहि जाए पड़त.

0 comments:

Post a Comment