Sunday, March 27, 2016

MSU मनेलक पहिल स्थापना दिवस

नई दिल्ली : मिथिला स्टूडेंट युनियन आइ दिल्लीक राजेंद्र भवन मे अप्पन पहिल स्थापना दिवस मनेलक अछि. युनियनक साल भरिक काज क' ब्यौरा जनताक समक्ष राखल गेल. मौका पर मुख्य अतिथिक रुपे कुमकुम झा, कमलाकांत झा, चंद्रशेखर पासवान, कैलाश मिश्रा, विभूति मिश्रा यूनियन कें बधाई दैत कहलनि जे युनियन के अखन बड्ड काज करबाक छैक, आ हम सभ संग युनियन क' संग छी. आइ कमलेश मिश्र केँ सर्वसम्मति सं युनियनक राष्ट्रीय अध्यक्ष चुनल गेल. एहि सं पहिले यूनियन क' अध्यक्ष अनूप चौधरी रहथि. 

युनियन क' बिहार प्रदेश प्रमुख अविनाश भारद्वाज युनियनक आगामी कार्यक्रमक मादे बतौलानि जे मिथिला क्षेत्रक सभटा चिन्नी मिल जावत शुरू नहि होएत कार्यकर्ता आंदोलन करैत रहता. 

कार्यक्रम क' बाद छोट सन सांस्कृतिक आयोजन राखल गेल छल जाहि मे विकास झा आ मैथिली ठाकुर क' गीत सं दर्शक दीर्घा सं लगातार थोपड़ि बजैत रहल. मौका पर रौशन मैथिल, नितेश कर्ण, अमित सिंह, सुभाष पासवान लगाइत सैकड़ों यूनियन क' कार्यकर्त्ता उपस्थित छलथि.

0 comments:

Post a Comment