नई दिल्ली : मनोज झाक नेतृत्व मे जंतर मंतर पर आइ मिथिला राजक मांग ल' दु दिनी अनशन समाप्त भ' गेल जखन रमानाथ झा अनशनकारी मनोज झा कें जूस पिया अनशन समाप्त करेलनि.अछि. एहि दु दिनी अनशन मे बिहारक 24 आ झारखंडक 6 टा जिला मिला मिथिला राज क' मांग कयल गेल.
वक्तागण मिथिला क्षेत्रक सर्वांगीण आ चहुंमुखी विकासक लेल शीघ्र मिथिला राज्यक स्थापना हेतु केन्द्र आ राज्य सरकार पर दबाव बनेबाक लेल आन्दोलन के तेज करबाक योजना पर सामुहिक रुपे जोर देलनि. वक्तागणक कहब छल जे क्षेत्रक शैक्षणिक, आर्थिक आ औद्योगिक आजादी लेल पृथक राज्य बनाएब एकमात्र उपाय अछि. मिथिला राज्यक मांग के समर्थन मे दिल्ली-एनसीआर लगाइत देश भरि सं सैकड़ों मैथिल पहुँचल छलथि.

0 comments:
Post a Comment