समस्तीपुर : समस्तीपुर-दरभंगा रेलखंड दोहरीकरणक बाट फरिछा गेल अछि. रेलवेक आधिकारिक सूत्रक मानी त' 10 अप्रैल के एहि रेलखंडक दोहरीकरणक शिलान्यास कयल जाएत. एहि कार्यक्रम मे मुख्य अतिथिक रुपे रेल राज्य मंत्री मनोज सिन्हा भाग लेता मुदा एहि संबंध मे रेल प्रशासन अखन किछु बजबा सं इंकार क' रहल अछि.
बतबि जे समस्तीपुर-दरभंगा रेलखंडक दोहरीकरण लेल मंत्रालय द्वारा 491 करोड़ क' राशि आवंटित कयल गेल अछि. एकरा अंतर्गत 38 किलोमीटर लाइन बिछायल जाएत. रेलखंड पर 9 मुख्य पुल, 22 छोट पुल, आठ स्टेशन आ यार्डक निर्माण होएत.

0 comments:
Post a Comment