Friday, April 22, 2016

24 अप्रैल के पटनामे परिसंवाद, कथासंधि आ लेखक सं भेंट कार्यक्रम

नई दिल्ली : साहित्य अकादमी दिल्ली आ चेतना समिति पटनाक तत्ववाधान मे मैथिली साहित्य पर वैश्विकरणक प्रभाव विषयक परिसंवाद, कथासंधि आ लेखक सं भेंट कार्यक्रम विद्यापति भवन पटना मे 24 अप्रैल के होएत.

कार्यक्रमक उद्घाटन अध्यक्ष चेतना समिति पटना, विजय कुमार मिश्र करताह. लेखक सं भेंट कार्यक्रम मे कीर्तिनारायण मिश्र अप्पन साहित्यिक यात्रा पर बात रखता आ कथासंधि मे उषा किरण खान कथा पाठ करतीह. परिसंवाद मे अप्पन विचार धीरेंद्र नाथ मिश्र, श्याम दरिहरे आ अशोक रखताह अध्यक्षता सुकांत सोम करताह. 

0 comments:

Post a Comment