Wednesday, June 15, 2016

सौराठ सभाक 8 सं 14 जुलाई धरि

मधुबनी : विश्व प्रसिद्ध ऐतिहासिक सौराठ सभाक आयोजन जिलाक सौराठ स्थित सभा गाछी मे आगामी 8 सं 14 जुलाई धरि होएत. विश्वक इ पहिल आ प्रसिद्ध स्थल अछि जतय सदियों सं दूल्हाक मेला लगैत अछि.

 सभा गाछी मे वर पक्षक लोक दूल्हाक बियाहक लेल  पूरा तैयारी सं अबैत छथि. दूल्हा सजि धजि क' तैयार अप्पन वासा पर बुजुर्ग परिजनक संग बैसल रहैत छथि जतय कन्या पक्षक लोक  आबि अपना अनुकूल वर तकैत छथि आ पैघ पूछताछक बाद दुनु पक्ष संतुष्ट हेबाक बाद बियाहक तैयारी में लागि जाए छथि.

0 comments:

Post a Comment