Friday, June 17, 2016

प्रेम मोहन आ दीपनारायण कें साहित्य अकादमी पुरस्कार

नई दिल्ली : बरख 2016 क' साहित्य अकादमी युवा पुरस्कारक लेल विभिन्न भाषाक 24 पोथीक चयन कयल गेल, जखनकि बाल साहित्य पुरस्कारक लेल 21 लेखक कें चुनल गेल अछि. अकादमीक अध्यक्ष प्रो  विश्वनाथ प्रसाद तिवारीक अध्यक्षता मे निर्णायक मंडली मैथिली मे बाल साहित्य पोथी 'भारत भाग्य विधाता' क' लेल प्रेम मोहन मिश्र आ गजल संग्रह  'जे नहि कहि सकलहुं' लेल दीप नारायण विद्यार्थीक चयन कयल गेल अछि.




चयनित लेखक कें पुरस्कार स्वरूप 50 हजार रुपया आ ताम्र-पत्र देल जाएत. ललित नारायण मिथिला विवि मे रसायनशास्त्रक प्रोफेसर डॉ प्रेम मोहन मिश्र मधुबनी जिलाक झंझारपुरक लक्ष्मीपुर गामक रहनिहार छथि.

डॉ मिश्र बतौलनि जे धिया-पुता के वैज्ञानिकक जीवनी सं अवगत करेबा लेल पोथी लिखल गेल अछि जहि मे 26 टा वैज्ञानिकक जीवनी अछि. अखन धरि डॉ मिश्र 29 टा किताब लिखने छथि जहि मे मैथिली क' संग हिंदी आ इंग्लिश मे सेहो किताब प्रकशित अछि.

गजल संग्रह  'जे कहि नहिं सकलहुं' मैथिली मे  दीप नारायण  विद्यार्थी क' पहिल किताब अछि. गजल संग्रह क' इ पहिल किताब अछि जेकरा साहित्य अकादमी युवा साहित्य लेल चुनल गेल अछि. मधुबनी जिलाक बाबूबरही क' भटचौरा निवासी दीपनारायण विद्यार्थी लोहनाटोल कबसिया मे प्राइमरी स्कूल मे नियोजित शिक्षक छथि. डीप नारायण बतौलनि जे इ संपूर्ण मिथिलाक सम्मान अछि. एहि सं मैथिली गजल के राष्ट्रीय ख्याति भेटल अछि.

0 comments:

Post a Comment