भारतीय वायु सेना मे पहिल बेर आइ तीन लड़ाकू पायलटक नियुक्ति कयल गेल.
दूरदर्शन अप्पन आधिकारिक ट्विटर अकाउंट सं समारोहक जनतब रक्षा मंत्री मनोहर पर्रिकर क' फोटोक संग देलक अछि. तीन लड़ाकू महिला पायलट मे भावना कंठ दरभंगा सं, अवनी चतुर्वेदी मध्य प्रदेश आ मोहना सिंह राजस्थान सं छथि.
अंतरराष्ट्रीय महिला दिवसक मौका पर तीनू गोटें कें फाइटर पायलटक ट्रेनिंग क' एलान कयल गेल छल.
एहि अवसर पर पर्रिकर ने पासिंग आउट परेड निरीक्षण केलनि आ और विभिन्न शाखाक 129 स्नातक प्रशिक्षु लगायत 22 महिला प्रशिक्षु कें ‘प्रेजिडेंशियल कमीशन’ देलनि.
मोहना सिंह
'हवा में रहि क' दशक सुरक्षा करब'
राजस्थान क' झुंझुनुं जिलाक मोहना सिंह दिल्लीक एयरफोर्स स्कूल सं पढाई केने छथि. हिनका पिता सेहो एयरफोर्स में छथि.हुनक इच्छा देश सेवाक पारिवारिक परम्परा कें आग बढ़ेबाक अछि.
अवनी चतुर्वेदी
'एक घंटा में फैसला लेलौं जे, जायब त' एयरफोर्स टा में जायब'
मध्यप्रदेश क' सतना क' अवनि चतुर्वेदी कॉलेज में फ्लाइंग क्लब मे किछु समयक अनुभवक बाद फैसला लेलनि जे जायब त' एयरफोर्स टा' मे जाएब.
भावना कंठ
'अकास मे उड़ैत रहय चाहैत छी'
दरभंगा क' भावना कंठ जिनक बचपन बेगूसराय मे बीतल कहलनि जे 'एकटा सपना छल जे अकास मे उड़ितौं, जे पूरा भेल.एयरफोर्स मे ट्रेनिंग क' स्टेज 1 पार केलाक बाद जखन फाइटर स्ट्रीम लेल चुनल गेल, जिनगीक सभसं महत्वपूर्ण दिन छल.

0 comments:
Post a Comment