Saturday, July 9, 2016

सौराठ सभा 14 जुलाई धरि

मधुबनी : भूमि आ राजस्व मंत्री मदन मोहन झा सौराठ सभा क' उद्घाटन करैत कहला जे सौराठ सभाक उत्थान आ विकासक लेल सभ संभव प्रयास कयल जा जाएत. ओतहि मिथिला पेंटिंग लेल क्षेत्र मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार द्वारा कयल गेल घोषणाक संदर्भ मे अपना स्तर सं जिला समाहर्ता के जल्दिये जमीन उपलब्ध करेबाक गप्प कहलनि. डॉ झा बीतल शुक्र कें एहि बरख सात दिन धरि चलय वला वैवाहिक निर्धारण स्थल सौराठ सभाक उद्घाटन कार्यक्रम के संबोधित क' रहल छलथि. डॉ झा कहलनि जे सौराठ सभाक पूरा विकास कयल जाएत.


कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालयक कुलपति देवनारायण झा कहलनि जे सौराठ सभाक इतिहास सात सौ बरख पुरान अछि, एतहि पंजी प्रथाक पैघ परंपरा रहल अछि. महराज हरिदेव सिंहक समय सं पंजी प्रथा लागू कयल गेल जे आब वैज्ञानिक स्तर पर सेहो प्रमाणित कयल गेल अछि. सौराठ सभाक अस्तित्व के बचबा लेल सरकार आ समाजक लोक कें आगू आबय पड़तय तखने धरोहर संरक्षित रहि सकत. मौका पर बहुतो वक्ता अप्पन बात रखला आ हुनक सभक एक्के उद्देश्य छल जे सौराठ सभ संरक्षित रहि सकय.

बता दी जे एहि ठाम (सौराठ सभा) आदि कालसं मैथिला ब्राह्मण अपन धिया लेल सुयोग्य वर तकबा लेल अबै छथि.

0 comments:

Post a Comment