Friday, June 24, 2016

नेपाल मे भ' रहल भारी बरखा सं मिथिला क्षेत्र मे बाढ़िक खतरा बढ़ल

सहरसा/कटिहार : मिथिला मे मानसूनक आगमनक संगहि बाढ़िक खतरा बढि गेल अछि. नेपाल क' तराई आ मिथिला क्षेत्र मे लगातार भ' रहल बरखा सं पिछला 24 घंटा मे मिथिला क्षेत्रक नदीक जलस्तर मे भारी वृद्धि देखल गेल अछि. राज्यक जल संसाधन मंत्री बांधक निरीक्षण करलाक बाद बाढ़िक संभावना के खारिज केलनि मुदा गंगा लगाएत दू दर्जन नदीक जलस्तर मे भारी उफान सं बाढ़िक खतरा बढि गेल अछि.



महानंदा, कोसी, अधवारा समूह, बागमती, बूढ़ी गंडक, गंडक, सोन, घाघरा नदीक तटबंध पर कतेको ठाम दबाव उत्पन्न शुरू भ' गेल अछि. नदी के बढ़ैत जलस्तर के देखैत जल संसाधन विभाग इंजीनियर सं तटबंध क' चौकसी करबा आ दिन-राति पेट्रोलिंग करबाक निर्देश देलक अछि. नेपाल मे कोसी नदीक वराह क्षेत्रक संगहि वीरपुर बराज क्षेत्र मे सेहो पिछला 48 घंटा सं जबरदस्त बरखा भ' रहल  अछि जहि सं कोसी बसुआ, बलतारा, कुरसेला मे आ महानंदा पूर्णियाक संगहि कटिहार मे खतराक निशान दिस तेज़ी सं बढि रहल अछि.

0 comments:

Post a Comment