Saturday, August 20, 2016

मैथिली के भेटय दोसर राजभाषा क' दर्जा

रांची : रांची : विद्यापतिस्मारक समितिक सदस्य पांच सूत्री मांग ल' झारखंड राजभवन मे राज्यपाल द्रौपदी मुर्मू सन भेंट केलनि. सदस्य सभ बिहार जेंका झारखंड मे सेहो मां जानकीक जन्मदिवस पर राज मे अवकाशक मांग केलनि. मैथिली के दोसर राजभाषाक दर्जा भेटय, हटिया-रांची सं जयनगर ट्रेन प्रतिदिन चलय क' मांग केलनि.

 संगहि मैथिली अकादमीक गठन होइ, जेपीएससी में मैथिली भाषा जोड़ल जाइ क' मांग केलनि. राज्यपाल सं भेंट करब लेल लेखानंद झा, अमरेंद्र मोहन, मोहम्मद परवेज, श्रेष्ठ नारायण झा, बच्चा राम आदि पहुंचल छलथि. इ जनतब प्रवक्ता ज्ञानदेव झा देलनि.

0 comments:

Post a Comment